भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

हील हाइ-हाइ / कालीकान्त झा ‘बूच’

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

खुडियौलक कसि - कसि कऽ नीपल करेज केॅ,
धुरियौलक धीपल मनक हाइ वेज केॅ,
कहऽ पड़ल आइ -
नील - नील चप्पल केर हील हाइ - हाइ ।

बेकसूर केश अधगेड़ेॅ सँ काटल छै,
कोन घसबहबाक हाथेॅ छपाटल छै,
अथवा हय दाइ -
ठढ़िया गेन्हारी केॅ चरि गेलै गाइ

पर्स लटकौने कमरच्छा सँ आयलि छै,
नवसिक्खू डानि जकाॅ भूखलि पियासलि छै,
बचबऽ हौ भाइ -
हऽम एक दूइये ओ आखड़ अढ़ाइ

एखनो धरि भौजी केॅ लजवन्ती जगिते छनि,
बूढ़ि भेली भैया लग लाज कते लगिते छनि,
सुनहक ढ़ोढ़ाई -
देखिये कऽ खा लै छी, घिबही मिठाइ