भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

हे कमलनयन, हे करुणामय / मैथिली लोकगीत

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

हे कमलनयन, हे करुणामय, अपराध बहुत हम कयने छी
जौं आन हमर स्वामी रहितथि, नहि जानि की कयने रहितथि
हे केहन भरल अहाँ करुणामय, हम कयक बेर अजमौने छी
सिद्धान्त स्नेहलतासँ करू, भवसिन्धु सँ निश्चय कयने रहितहुँ
हे केहन क्षमा सँ भरल छी अहाँ, हम तकर परीक्षा कयने छी
आम फड़ैत कटहर अमृत घट, पान चुबैत गरल
के केहन भरल अहाँ करूणामय, हम कयक बेर अजमौने छी