भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

"ऋतुपति वसन्त / शम्भुनाथ मिश्र" के अवतरणों में अंतर

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज
('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=शम्भुनाथ मिश्र |अनुवादक= |संग्रह=...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)
 
(कोई अंतर नहीं)

16:39, 23 मार्च 2015 के समय का अवतरण

ऋतुपतिराजक स्वागतमे सजि
प्रकृति नटी छथि आत्म विभोर
पल्लव पनुघल, मज्जर मजरल
मह मह करइत अछि चहु ओर।

नित कोइली कुहुकय उठि भोरे
चंचल पवनक उठय हिलोरे
मधुमासक मधुमे मातल मन
गाबय ऊठि पराती भोर।

सरसिज सरकेँ करय सुसज्जित
मधुपक गुंजन ध्वनि अनुगुंजित
पाबि वसन्ते रास रचौलनि
नटवर नटखट नन्दकिशोर।

किंसुक कुसुमे पाटल कानन
ऋतुपति छीटल सबतरि चानन
प्रिया प्रेयसिक मन मन्दिरमे
प्रणयक उठइत अछि हिलकोर