भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

"ताप / दीपा मिश्रा" के अवतरणों में अंतर

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज
('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=दीपा मिश्रा |अनुवादक= |संग्रह= }} {{KKCa...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)
 
 
पंक्ति 6: पंक्ति 6:
 
}}
 
}}
 
{{KKCatKavita}}
 
{{KKCatKavita}}
{{KKCatMaithiliRachnakaar}}
+
{{KKCatMaithiliRachna}}
 
<poem>
 
<poem>
 
रातिक दू बजैत छल
 
रातिक दू बजैत छल

17:42, 18 जुलाई 2023 के समय का अवतरण

रातिक दू बजैत छल
साओर संबंधिक
सब चलि गेल छल
चारि दिन पूर्व
बेटाक विवाह भेल छलैन
पाइन पीबाक लेल उठलीह
पुतौहु आ बेटाक केवाड़सँ
अबाज अबैत सुनलैन्ह
कतेक बरखक बाद
किछु मोन पड़लैन
बुझेलैन जे हुनक भीतर
एकटा स्त्री सेहो छैन
बारह वर्ष पूर्व
ओहि घटनाक बाद
ओ बस बेटाकेँ बनाबयमे
अपनाकेँ झोंकि देने छलीह
हाथमे पकड़ल
गिलास राखि देलैन
झरनाक नीचा ठाड़ भऽ गेलीह
आब पाइन आगि
किछुक भान नै छलन्हि
ई ताप ओना पाइनोसँ
मिटाइ बला नहि छल
ई बात बुझबाक आवश्यकता
समाजकेँ कहियो नहि भेल
ओ कहियो ई कहाँ सोचलक
विधुर पुनर्विवाह कऽ
नब जीवन पबैत छलाह
सबटा नियम परंपरा
रूढ़िवादिताक हथकड़ी
वैधव्य केँ पहिरा देल गेल