भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

"बीतत विकट विभावरी / चन्द्रनाथ मिश्र ‘अमर’" के अवतरणों में अंतर

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज
('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=चन्द्रनाथ मिश्र ‘अमर’ |अनुवादक= |...' के साथ नया पन्ना बनाया)
 
(कोई अंतर नहीं)

13:05, 8 अगस्त 2014 के समय का अवतरण

महिंसिक पीठक ठेला जकर नितम्ब पर
सेहो वंशी टेरय आइ कदम्ब तर।
भाँटि करैए स्पर्धा चम्पा फूस सँ
बाँसक चचरी सेहो पक्का पूलसँ।
जखन बिलाड़िक भाग्येँ टूटल सीक छै,
मुसरी सबकेँ चिन्ता तखन कथीक छै?
चारूदिस कौआक जखन अनघोल हो,
ताहि बीच कोइलीक कहू की मोल हो।
आइ फेर बनवास भेल छनि रामकेँ,
रावण भूजि रहल तेँ गामक गामकेँ।
कृष्ण मानि कय बहुतो पूजय कंसकेँ,
उचिते लागल छैक छगुन्ता हंसकेँ।
कुड़हरि उछटि रहल अछि बाँसक ओधि पर।
लोकतन्त्रमे एहन होइत छै,
रसगुल्लोसँ नीक बताश होइत छै।
विकसत शतदल बीतत विकट विभावरी,
हम बुड़िबक जनता ता चीखी राबड़ी।