भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

"घृणामयी / सुरेन्द्र झा ‘सुमन’" के अवतरणों में अंतर

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज
('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=सुरेन्द्र झा ‘सुमन’ |अनुवादक= |सं...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)
 
(कोई अंतर नहीं)

22:08, 21 अप्रैल 2015 के समय का अवतरण

चिर अभिशापित घृणा - मूर्ति परिपाक पाप केर साओन-भादव!
घन - व्रण भरल शरीर मलिन, बिजुरी नहि, ई चरक-चिह्न अछि
सलिल-धार नहिं गलित गात्रकेर पूति-प्रवाह चलल अविरल अछि
बहि-बहि जमल पीज अछि सगरो नहिं बुझबे जे ई थिक कादब
चिर अभिशापित घृणा - मूर्ति परिपाक पाप केर साओन-भादव।।1।।

हंस घृणासँ दूर पड़ैले, नदी - हृदय कलुषित भरि ऐले
बर्षा - व्याजेँ फेकि थूक नभ घृणा करय, पिच-पिच थल भेले
शरद - वैद्यकेर चरण धरथु बरु मरण शरण अछि एके लाघव
चिर अभिशापित घृणा - मूर्ति परिपाक पाप केर सावन-भादव।।2।।