भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

"भिनसर / सनेस / सुरेन्द्र झा ‘सुमन’" के अवतरणों में अंतर

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज
('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=सुरेन्द्र झा ‘सुमन’ |अनुवादक= |सं...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)
 
(कोई अंतर नहीं)

18:09, 4 अगस्त 2015 के समय का अवतरण

चुह-चुह करइत चुहचुहिआ रतिगरे कानमे किछु कहइत अछि
निन्न टूटने टुन्ना-मुन्नी फुद-फुद गप्प जेना करइत अछि॥1॥
बाड़िक आमक डारि-डारिसँ कोइली कुहुकि रहल अछि ओहिना
मायक कोरा बैसि हुलसि कय छी बजैत रस - रस हम जहिना॥2॥
पुरवा हवा दुहारू कतबा गाछ - वृच्छ चट माथ डोलाबथि
अपन कान्ह पर चढ़ा - चढ़ा कय बाबू हमरा जेना घुमाबथि॥3॥
फूल-फूलसँ मधु बटोरि कय रने - वने भमरा उड़ैत अछि
लय जलखड़ी आम बीछै’ जनु छौंड़ा सभ गाछी घुमैत अछि॥4॥
चट - चट कय फूलक कोंढी सभ फुला रहल अछि अपने फुरने
बिना जगौने आँखि मीड़ि हम उठि जाइत छी भोरे अपने॥5॥
चुन - चुन करय चड़ै - चुनमुन्नी फुदुकि एम्हर ओम्हर हो तेहिना
घर - घरसँ जुटि कै हमरा सभ खेल - कूदमे लागी जेहिना॥6॥
काका केर सूगा पिजड़ामे ‘राम-राम’ सुनबय लागल ई
गुरु केँ पाठ सुनाबय पड़ते, की हमरो चेतबय लागल ई?7॥