भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

"पहुँचनामा / विकाश वत्सनाभ" के अवतरणों में अंतर

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज
('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=विकाश वत्सनाभ |अनुवादक= |संग्रह= }} {...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)
(कोई अंतर नहीं)

13:15, 6 मार्च 2017 का अवतरण

अहाँकेँ लिखल अपन
दू गाही अनुत्तरित पत्रक बाद
आब इतिश्री करैत छी
आब नहि हेरब अहाँक बाट
नहिये ब्रॉउज करब
अहाँक फेसबुकिया एल्बम
पेनड्राइव मे सैंतल सहस्त्रो भंगिमा
फोनक मेमोरी मे राखल-
अनगिनत भित्तिचित्र
मुदा कहु कोना मेटाउ मोन सँ
अहाँक गोदना
अहि मनोभाव पर कहाँ चलैछ
कोनोटा यांत्रिक टेक्टिस
.
होयत अछि तेना भ' लिखी जे
पाथर घमि जाय...
मेघ झहरि जाय...
अहाँ बिलमि जाय...
.
एखनहुँ ओहिना सोह अछि
कोना कचनारक पाछाँ
संगे भेल रहि जुआन
कोना आँखिक सब बदमासी गमि
खुआ देने रहि ठोरक पान
सहटि क' कान मे देने रही
संग रहबाक किरिया
.
बिसरनेहों नहि बिसराइत अछि
अहाँक ई पुछब जे-
'कतेक प्रेम करैत छी हमरा सँ
आ हमर ई कहब-
'अहाँ सँ मिसिया भरि बेसी'
.
अहुँ जँ सोह करबै कखनो
मोन परत सबटा,भेटत-
सौँसे देह मे हमर हाथक छाप
मेसायल लिपीस्टिकक परिहास
लेभरायल काजरक अश्रुगीत
उधेसल बीछौनाक अभिसार
भुटकल रोइयाँ सँ बहराइत
पिमही सभक समवेत आक्रोश
की अहाँ तखनो पठेबै
हमर अहि पत्रक पहुँचनामा?