भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

"समाधि / मनोज शांडिल्य" के अवतरणों में अंतर

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज
('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=मनोज शांडिल्य |अनुवादक= |संग्रह= }} {...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)
 
(कोई अंतर नहीं)

14:45, 6 मार्च 2017 के समय का अवतरण

एहि एकपेड़िआ पर
बढ़ल जा रहल अछि ओ
नितांत एकसरे

आगाँ बला सभ
निकलि गेल छैक
बहुत आगू
दृष्टिक सामर्थ्य सँ बहुत दूर
आ ओकर पाछू –
किओ नहि

अपन प्रजातिक पाँति मे
प्रायः
ओकर स्थान छैक अंतिम

कुकुर-कटाउझ करैत
कतेको पुरना सहयात्री
ध’ लेने छैक
दोसरे कोनो बाट
नः
ओ सभ नहि रहलैक आब
ओकर प्रजातिक

एहि एकपेड़िआ पर
एकसरे चलैत
भ’ रहल छैक ओकरा
समाधिक अनुभूति

एतय
बोधि-वृक्ष कतहु नहि
मुदा तैयो
मुक्त अकासक छाँह मे
भ’ रहल अछि ओ शुद्ध
बनि रहल अछि ओ बुद्ध