भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

हम जुवती पति गेलाह / विद्यापति

Kavita Kosh से
Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 09:50, 27 सितम्बर 2012 का अवतरण

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज


हम जुवती, पति गेलाह बिदेस,
लग नहि बसए पड़उसिहु लेस,

सासु ननन्द किछुआओ नहि जान,
आँखि रतौन्धी, सुनए न कान,

जागह पथिक, जाह जनु भोर ,
राति अन्धार, गाम बड़ चोर ,

सपनेहु भाओर न देअ कोटबार,
पओलेहु लोते न करए बिचार,

नृप इथि काहु करथि नहि साति ,
पुरख महत सब हमर सजाति ,

विद्यापति कवि एह रस गाब ,
उकुतिहि भाव जनाब !