भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
अन्नदाता / गुंजनश्री
Kavita Kosh से
Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 12:33, 5 मार्च 2017 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=गुंजन श्री |अनुवादक= |संग्रह= }} {{KKCatMai...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)
राति सुतय काल
कहैत छली-
यौ! आई चिक्कस
सनैत काल
अभरैत छल
शोणित,
बड्ड दुरदुरेलियैक
मुदा नै हटल फराक
अंत मे सानि देलियैक
आ खुआ देलहूँ आहाँके
कोन ठीक
आहाँक ठंढायल शोणित मे
जीबि जाइ
एकटा हारि क' मरल
अन्नदाता के
जिनगी
आ आहाँ बनि जाइ
राजपशु स' नर वा
मशीन स' मनुक्ख
किन्सैत!