भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

काल-तुला / रामदेव झा

Kavita Kosh से
सशुल्क योगदानकर्ता २ (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 07:49, 4 जून 2013 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=रामदेव झा |संग्रह= }} {{KKCatKavita‎}} {{KKCatMaithiliRac...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

 
पछिलाक पलड़ा जकाँ अछि
भूत केर आयाम
जहि पर
लादल अनेको बटखरा सभ
भाँति-भाँतिक
छोट-मध्यम, और बड़का
जीवनक भोगल क्षणक आ
अतीतक घटनावनी केर।

अगिलका पलड़ा जकाँ अछि
भविष्यक आयाम
जाहि पर लादल-अटेंगल
अनागति केर ढेरी-
जाहि दिस औत्सुक्य भावें
दृष्टि लागल नित्य।
काँट निकुतिक
बनल अछि ई

वर्तमान निमेष-
बीतल क्षण केर बाद
ओ पुनि
अनागतसँ पूर्व
ओ अपन अस्तित्व मात्रक
दैत अछि संकेत-