भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

सायुज्य / धूमकेतु

Kavita Kosh से
सशुल्क योगदानकर्ता २ (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 07:55, 4 जून 2013 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=धूमकेतु |संग्रह= }} {{KKCatKavita‎}} {{KKCatMaithiliRachna}...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

 
जे अहाँक पूजा करैत छथि
अहाँकें पाथर बुझैत छथि
आ जे ध्यान धरैत छथि
तिनका हेतु अहाँ प्रतिमा छी
इतिहास-पुराण तँ कवि करैत अछि
जे अहाँकें राजमहिषी कहैत अछि
हमरा हेतु अहाँ की माटि-पानि-बसात
कारण हम अहाँक देहकें भोगलहुँ अछि
अहाँक स्वासक चिरंतन सुगन्धि
तँ एखनहुँ हमरा प्राणमे बसल अछि।