भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
छोटी-मोटी नीमक गछिया / मैथिली लोकगीत
Kavita Kosh से
Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 13:28, 1 जुलाई 2014 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKLokRachna |भाषा=मैथिली |रचनाकार=अज्ञात |संग्रह=देवी...' के साथ नया पन्ना बनाया)
मैथिली लोकगीत ♦ रचनाकार: अज्ञात
छोटी-मोटी नीमक गछिया, चतरल-चतरल डारि
ताही ठाम पाँचो बहिनी, खेलय जुआ सारि
जुअबा खेलइते माइ हे, टुटल गृमलहार
कनइते खिजइते विषहरि, गहबर लोठाइ
जुनि कानू, जुनि खीजू विषहरि माइ
आबऽ दिअ पटबा, गथायब गृमलहार
पहिरि-ओढ़िय विषहरि, आंगन भेली ठाढ़ि
चान-सुरूजक जोति, गेल मुरझाइ