भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
बल्लम बरछी भेल तैयारी / मैथिली लोकगीत
Kavita Kosh से
Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 21:59, 1 जुलाई 2014 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKLokRachna |भाषा=मैथिली |रचनाकार=अज्ञात |संग्रह=ऋतू ...' के साथ नया पन्ना बनाया)
मैथिली लोकगीत ♦ रचनाकार: अज्ञात
बल्लम बरछी भेल तैयारी
समधिन छिनरो लय भेल फौदारी
कहाँ के जे समधिन कहाँ भेल तैयारी
कहाँ के जे समधी रसिया
मोकदमा भेल बड़ भारी
फल्लाँ गाम के समधिन छिनरो
पटना भेल तैयारी
फल्लाँ गाम के समधी रसिया
मोकदमा भेल बड़ भारी
रुपैया जमा कयलनि समधी
मोकदमा भेल खारीज
हारि गेला समधी रसिया
लज्जा भेल बड़ भारी
साड़ी छै रसदारी चउपेतल साड़ी
साड़ी छै मजेदारी चउपेतल साड़ी
सेहो साड़ी पहिरथु समधिन छिनरो
पहिर चलल लटझाँरी हे चउपेतल साड़ी
घोड़बा चढ़ल आबे समधी रसिया
आंचर धय बिलमाबे हे चउपेतल साड़ी
छोडू-छोडू आहे रसिया हमरो आँचर हे
फाटि जायत नब साड़ी हे चउपेतल साड़ी
छोड़ब-छोड़ब अपना पलंग पर
जहाँ उड़य रसदारी