Last modified on 17 जुलाई 2014, at 10:38

टूटि गेल अछि निन्न / यात्री

Lalit Kumar (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 10:38, 17 जुलाई 2014 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=यात्री |अनुवादक= |संग्रह=पत्रहीन ...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

टूटि गेल अछि निन्न
हे लिअऽ, भक दऽ भेल इजोत
तर्जनी पड़ितहिँ स्विचपर
टेबुल लैम्प स्वयं आलोकित,
आलोकित कएलक सउँसे छत....
काँपी सँऽ संपृक्त पड़ल अछि पेन एक दिश
पेपरवेटक भर सँऽ जाँतल मेघदूत अछि शान्त एक दिश
बिहुँसि रहल अछि ‘वाटरमैन’ क पॉट पियरका लेबुल सटने
-सभक बोझ माथापर धएने
निर्विकार अछि बांसक फट्ठिक ई सस्तउआ मेज
ठामहि छइ समगोत्री चेयर
-ततबे धरि परितोष!
बइसि जाइ छी
बइसव नहि तऽ मगजिक उसिना कोना हेतई तइआर?
हम हो टा नहि, आनो अछि बुधिआर!