Last modified on 18 जुलाई 2014, at 16:51

अहाँक आँचर / शिव कुमार झा 'टिल्लू'

Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 16:51, 18 जुलाई 2014 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=शिव कुमार झा 'टिल्लू' |अनुवादक= |सं...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

आव विसरव कोना सुनू जननी अहाँ
,कतेक निर्मल सेहंतित अहँक ऑचर
हिय सिहकै जखन वहै लोचन तखन
नोर पोछलहुँ लपेटि हम अहँक ऑचर
कोना अयलहुँ खलक ? मोन नहि अछि कथा,
पवित्र पट सँ सटल देह भागल व्यथा
सिनेह निश्छल अनमोल प्रथम सुनलहुँ मातृबोल
,मोह ममताक आन के‘ करत परतर
दंत दुग्धक उगल, नीर पेट सँ वहल
देह लुत्ती भरल कंठ सरिता सुखल
जी करै छल विसविस तालु अतुल टिसटिस
मुॅह मे लऽ चिवयलहुँ अहँक ऑचर
नेना वयसक अवसान ताक‘ चललहुँ हम ज्ञान,
कएलहुँ गणना अशुद्ध गुरू फोड़ि देलनि कान
सिलेट वाट पर पटकि माँक कोर मे सटकि,
तीतल कमलाक धार सँ अहँक ऑचर
देखि पॉचमक फल मातृदीक्षा सफल,
भाल तिरपित मुदा ! उर तृष्णा भरल
गेलहुँ कत‘ हे अम्बे कत‘ गेल ऑचर
,ताकि रहलहुँ हम ऑगन सँ पिपरक तर