भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

सम्पादक / चन्द्रनाथ मिश्र ‘अमर’

Kavita Kosh से
Lalit Kumar (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 17:23, 20 अगस्त 2014 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=चन्द्रनाथ मिश्र ‘अमर’ |अनुवादक= |...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

1
हम सम्पादक हम सम्पादक।
चुट्टा सँ पकड़ि पकड़ि लाबी
हम यत्रा तत्र जे किछु पाबी।
फल्लाँक उदय फल्लाँक मरण
नित ढेर लगाबी संवादक॥
हम सम्पादक॥
2
आबथि कवि वा क्यौ कलाकर
हम बन्द करी सबहक बकार।
एमहर ओमहर नहि घुसुकि सकथि
आचार्य स्वयं छी बकवादक॥
हम सम्पादक॥
3
साहित्य पढ़ल किछु कमे बेस
व्याकरणक तँ ऽ अछि मात्र लेश।
आबथि तथापि पहिने हमरे
लग ग्रन्थकार ओ अनुवादक॥
हम सम्पादक॥
4
हम वातावरण बूझि प्रान्तक
आश्वासक बनी सदा श्रान्तक।
पुड़िए भरि मे बड़को माँतथि
हम छी पदार्थ तेहने मादक
हम सम्पादक॥
5
अछि हमर मनोरम आत्माकथा,
हम ‘‘ननु नच किंवा यथातथा’’
जे किछु लिखैत छी थीक बुझू,
सब फल सरकारी परसादक॥