भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

मधु श्रावणी / शिव कुमार झा 'टिल्लू'

Kavita Kosh से
Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 15:23, 21 सितम्बर 2014 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=शिव कुमार झा 'टिल्लू' |अनुवादक= |सं...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

मधुप विना सुन्न उपवन रे, मधुश्रावणी आयल
कंत विनय विवश कतऽ रे हिय ‘आरती’ हेरायल

सुनू शिव छलिया स्वांगी बनि हमरा विरहयलहुँ
संग महादेव नाम देवर केॅ कलंकित कयलहुँ

हम कएल कतेक अनुग्रह रे अहूॅ हमरा वचन देल
मंजुल मिलन कतऽ गेल रे, कतय बात कलित गेल

हऽम अभागलि मैथिली रे, अपनहि देल घात,
नुपूर खनकि दुःख कातर रे, तोड़ल दामिनी गात

विकल मल्हार सुनि शिव, आनन हँसी सँ उमड़ायल
जुनि हहरू सिये, अहँक लखन रघुवर संग आओल