भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

बउआ कान छू / चन्द्रमणि

Kavita Kosh से
सशुल्क योगदानकर्ता ३ (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 15:13, 21 मार्च 2015 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=चन्द्रमणि |संग्रह=रहिजो हमरे गाम...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

राम छू रहमान छू
गीता अर कुरान छू
मोल बिकएबें नै बजारमे
पहिने बउआ कान छू।
पाई गनाकऽ कनिया अनबें
नहि चलतौ अकबालक सोटा
भात खाइले थारी मंगबे
आगु आनिकऽ रखतौ लोटा
मायक माय ई धनती नानी
तकरा ठामहि ठाम छू। राम.......
जौं रहबेँ कीनल सासुर के
अपनहि हल्लुक कनि´ा भारी
कहतौ मनसा पहिरै धरिया
आदि दे हमरा साड़ी
पुरूष जातिकें लाज बचबिहें
अपन पियरगर प्राण छू। राम ...
मांग घरक पूरा नहिं करबें
भरि दिन भन-भन करतौ कनियाँ
सब दिन माथा झुकले रहतौ
पिता तोहर जौं
हेथुन्ह बनियाँ
दिनक गवाही चकमक सूरज
रातुक मामा चान छू। राम.....