Last modified on 23 मार्च 2015, at 16:39

मोनक हुलास / शम्भुनाथ मिश्र

Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 16:39, 23 मार्च 2015 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=शम्भुनाथ मिश्र |अनुवादक= |संग्रह=...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

भेल सोहाओन फागु हे प्रीतम घर अओता
सोलह सजब शृंगार हे प्रीतम घर अओता

छोड़ि पिया निज गेला विदेशे
फोनक टुनटुन हमर सनेसे
झुमत हमर मन आजु हे
प्रीतम घर अओता

अपनहिँ हाथेँ रंग लगायब
आनन्दक हम गंग नहायब
रूप निहारब आजु हे
प्रीतम घर अओता

संगहि रहि हम हृदय जुड़ायब
प्रेमक सागरमे डुबि जायब
विरहक स्नेह अपार हे,
प्रीतम घर अओता

प्रभुसँ विनती युग-युग जीबथु
प्रणयक रसकेँ पुनि-पुनि पीबथु
अचल रहय अहिबात हे,
प्रीतम घर अओता