भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
चिर-सोहागिनी / सुरेन्द्र झा ‘सुमन’
Kavita Kosh से
Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 22:03, 21 अप्रैल 2015 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=सुरेन्द्र झा ‘सुमन’ |अनुवादक= |सं...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)
चिर सोहागिनी प्रकृति प्रियाकेर भरल वयस ई साओन-भादव!
ककर कटा तड़ित चंचल अछि, ककर पुलक ई नव कदम्ब अछि
जलद-जाल बनि ककर अलक आकुल ई पसरल दिग्-दिगन्त अछि?
ककर बलाका ललित प्रेम-लिपि गगन-पत्रमे अंकित नित नव?
चिर सुहासिनी प्रकृति प्रियाकेर तरल वयस ई साओन-भादव।।1।।
उमड़लि सरिता सिन्धु-संगमा, आलिंगित-तरु लता भंगिमा
दूभि-सेज सजि वासक सज्जा वसुधा पहिरलि पट-हरीतिमा
दिन रजनी घन पट आवृत भय एकाकार, न अछि विभेद लव
चिर विलासिनी प्रकृति प्रियाकेर सरस वयस ई साओन-भादव।।2।।