भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

वसन्त उपहार कतऽ अछि / नरेश कुमार विकल

Kavita Kosh से
सशुल्क योगदानकर्ता ३ (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 22:41, 22 अप्रैल 2015 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=नरेश कुमार विकल |संग्रह=अरिपन / नर...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

करू ककरा पर श्रृंगार
हमर मनुहार कतऽ अछि ?
हृदय अछि पछबा सँ विक्षिप्त
वसन्त उपहार कतऽ अछि ?

कुसुमित द्रुमदल सजल अनल मे
प्रकृति में उद्गार कतऽ अछि ?
करू ककरा पर श्रृंगार
हमर मनुहार कतऽ अछि ?

लज्जा सँ कयने बन्द कुंज
दृग, हमर जीवन संघात बनल
कुसुमेषु कोप सँ कानि रहल
अछि कुसुम किए पाषाण बनल।

विकल भृंग, खग हेरि रहल अछि
देव ! हमर आगार कतऽ अछि ?
हृदय अछि पछबा सँ विक्षिप्त
वसन्त उपहार कतऽ अछि ?

जेहि वाचा कें शत् कोटिपूत
ओ कानि रहलि बहबैत नोर
एक बेरे भव पुनि दृग फेरथु
अछि गीत हमर पाड़ैत सोर।

नव पल्लव पर सन्देश कतऽ
कोइली कह रे बाहर कतऽ अछि ?
हृदय अछि पछबा सँ विक्षिप्त
वसन्त उपहार कतऽ अछि ?