भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

वत्सासुरवध / कृष्णावतरण / सुरेन्द्र झा ‘सुमन’

Kavita Kosh से
Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 16:16, 15 मई 2015 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=सुरेन्द्र झा ‘सुमन’ |अनुवादक= |सं...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

सहसा सुनि पड़ले हुँकड़ै छल धेनु-वत्स भय खाय
बाछा कोनहुँ अनेर जेरमे पैसल अछि गुर्राय
चोख सींघ चलबय खुर नखर लथारहु कत घर्राय
बुझि गेला हरि क्यौ कपटी असुरहि आयल वर्राय
थमह बन्धु-गण! थिक वत्सासुर कपट वेश धय गूढ़
पाप बुद्धिसँ घुसिआयल अछि बुधगण बिच जनु मूढ़
ई लहि दौड़ि पशुक दुहु टाङ पकड़ि फेकल हरि दूर
तरु कपित्थपर खसल छहोछित वत्सासुर भय चूर
मरइत काल रूप निज असुरक सहजहिँ गेल चिन्हाय
वत्सासुर छल पूतनाक अनुजन्मा सोदर भाय
लगले पसरि गेल ई घटना बालकृष्णकेर सत्त्व
नहि साधारण ग्वाल-बाल ई कोनहु दिव्य परत्व