Last modified on 16 मई 2015, at 13:13

द्वैत-गीत / पयस्विनी / सुरेन्द्र झा ‘सुमन’

Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 13:13, 16 मई 2015 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=सुरेन्द्र झा ‘सुमन’ |अनुवादक= |सं...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

भरि दी स्वर अहाँ, हम तँ मात्र व्यंजना।
रेख-लेख हमर, अहिँक कला रंजना।।
चरण हमर, गति अहाँक
शब्द सहज, अर्थ बाँक
पद-वितान हमर, अहँक छन्द-बन्धना।
शक्ति अहँक, भुजा हमर
भक्ति हमर, धुजा अहँक
प्रतिमाक प्राण अहँक, हमर वन्दना।
तरुक उगब मात्र कर्म
फडब-फुलब ऋतुक धर्म
वन-उपवन रस जगैब मधुक योजना।
भूतल केँ तपन ताप
हृदय रसक बनब भाफ
उमड़ि-घुमड़ि बरिसब ई घनक घोषणा।
भरि दी स्वर अहाँ, हम तँ मात्र व्यंजना।।