Last modified on 5 अगस्त 2015, at 11:19

निमन्त्रण / राजकमल चौधरी

Lalit Kumar (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 11:19, 5 अगस्त 2015 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=राजकमल चौधरी |अनुवादक= |संग्रह= }} {{KK...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

कोनो गाछमे जनमल एकटा सुन्दर मधुमय फूल
पसरि गेल हमर हृदयमे मुस्कानक नव-नूतन रेख
आब ने लागत हिमयात्रीकेँ भदबा वा दिक्शूल
कथूसँ। जीवनपथमे सम्भव नइँए आब मीन वा मेख

कोनो नदी तट हमरा भेटल, लागल एकसरि एकटा नाह
घएलउँ लग्गा हाथ कि हँसि कए खेबि देलउँ मँझधारे
किछु चिन्ता नइँ। घुट्ठी धरि जल वा कि अथाह
ढाबुस बेंग बनल बइसल नइँ रहबइ गामक आब इनारे

कोनो गगनसँ देलक हुलकी एकटा उज्जर झकझक तारा
हमरा लागल, ककरो माथक थिक ई जगमग टिकुली
सत्त कहइ छी, तोड़ि ने पाएब हम ई सीमा-कारा
प्रेमक ज्योतिक। आब सहब नइँ विरहक ठनका-बिजुली

आब द्वारिका के सुखसुविधा हरत ने मार्गक बन्धन-बाधा
चलू कृष्ण, रास्ता देखइ छथि विद्यापति कवि के राधा