भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
चित्र / ककबा करैए प्रेम / निशाकर
Kavita Kosh से
Jangveer Singh (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 02:15, 8 सितम्बर 2018 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=ककबा करै...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)
अकास केर
आसमानी कालीन पर
के उकेरलक अछि?
भिन्न-भिन्न तरहक चित्र
के अछि?
जे लागतार बनाइए रहल अछि
चित्र
भरि रहल अछि
चित्रमे रंग।
चित्र
आ चित्रमे भरल रंग
भरि देलक
हमर मोनमे
आसक्ति
भऽ गेलहुँ
आसक्त
जागि गेल
सृजन करबाक
लिलसा।