Last modified on 12 सितम्बर 2018, at 17:35

प्रेम-एक / ककबा करैए प्रेम / निशाकर

Jangveer Singh (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 17:35, 12 सितम्बर 2018 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=ककबा करै...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)




प्रेम
आमद-खरच
विचारि कऽ नहि होइत अछि

बतास
आगि
आ पानि जकाँ
सहजे भऽ जाइत अछि।

प्रेम करे
कोनो समय नहि होइत अछि

कोनो समयमे
कोनो ठाम
ककरो सँ भऽ जाइत अछि।

प्रेम धनुषसँ छूटल बाण जकाँ लागि जाइत अछि
आ लोकक मोनमे
उछाहक समुद्र जागि जाइत अछि।