Last modified on 12 सितम्बर 2018, at 18:26

दर्द / ककबा करैए प्रेम / निशाकर

Jangveer Singh (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 18:26, 12 सितम्बर 2018 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=ककबा करै...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)


अहाँ
हमरा छोड़ि देलियै
दर्द
अपनयलक
दर्दकें हम
जोगा कऽ रखलियै
पोसलियै
दर्द पोसलक हमरा
एसगर
तन आ मनकें संग देलक।

दर्द
हमरा संसार तकबाक
टेबबाक
दृष्टि देलक
हिम्मति देलक
शक्ति बढ़यलक।