भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

दृश्य / ककबा करैए प्रेम / निशाकर

Kavita Kosh से
Jangveer Singh (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 18:38, 12 सितम्बर 2018 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=ककबा करै...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज


हम भरि मोन निहारय चाहय छी
स्पर्श करऽ चाहय छी अहाँकें
फेर कहिया देखब
देखियो पायब कि नहि
कोन ठेकान
कालक गति
काले जानय।

एखन हाजिर अछि
मदभरल ठोर
कजरायल आँखि
बान्हल केश
आ अलतासँ रंगल नह
ई सभटा दृश्यकें
मोनक कोठीरमे बन्न करऽ चाहय छी।