भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
बनाउ प्रयसी / ककबा करैए प्रेम / निशाकर
Kavita Kosh से
Jangveer Singh (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 18:43, 12 सितम्बर 2018 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=ककबा करै...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)
गंगा मे डुबू नहि
नहि खाउ माहुर
नहि लगाउ फँसरी
नहि भेटल
प्रेम
आ नहि भेटलीह प्रेयसी
कोनो बात नहि
ओकर स्मृतिएसँ करू
प्रेम
ओकरे बनाउ प्रेयसी
आ प्रेम करू
शीत ग्रीष्म वर्षा
जल थल नभ
पशु पंछी फनिगा
सुरुज चान तारासँ।
ओकरे बनाउ प्रेयसी।