Last modified on 19 सितम्बर 2018, at 02:19

मीता / गंग नहौन / निशाकर

Jangveer Singh (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 02:19, 19 सितम्बर 2018 का अवतरण (' {{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=गंग नहौन...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)


मीता
के देत एहन समयमे
एक लोटा जल
बैसऽ लेल खटिया
आ बाजत टूटा मधुर बोल?

मीता
के खुनबाओत नहरि
एहि ठेठ देहातमे
इन्दिरा आवास योजनासँ
के बनबाओत पजेबाक मड़ैया?

मीता
के आनत बसन्त
सरिसोक फूल
कोइंलीक बोल
फगुआक तान
नवयौवनक नैसर्गिक मुस्कान?
मीता
के समझाएत
गीताक ऋचा
वात्स्यायनक कामसूत्र
राजकमलक मुक्तिप्रसंग?

मीता
के लिखत
चतुर्भुज स्थान
काशी
आ सोनागाछीक वेदना?