भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
हम आ अहाँ / गंग नहौन / निशाकर
Kavita Kosh से
Jangveer Singh (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 02:35, 19 सितम्बर 2018 का अवतरण (' {{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=गंग नहौन...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)
हम आ अहाँ
मिलि कऽ बाँटि लेब
एक-दोसराक
सुख-दुख
आ एकाकीपन।
हमर
बहैत नोरसँ
पसीझि जइ अहाँ
अहाँकें लागए
जेना टघरल अछि नोर
अहींक आँखिसँ।
हम बजाबी गिटार
तँ गिटारक धुन
बेचैन कऽ दिअए अहाँकें
अहाँकें लागए
जेना बहराएल अछि धुन
अहींक हृदय धारसँ।
हमर
डायरीक लिखल शब्द
भरि जाइछ
अहाँक वेदनासँ
हमरा लगैए
जेना बहराएल अछि शब्द
अहींक वेदनाक सागरसँ।