भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

निठल्ला / दीप नारायण

Kavita Kosh से
सशुल्क योगदानकर्ता ५ (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 23:32, 12 फ़रवरी 2021 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=दीप नारायण |अनुवादक= |संग्रह= }} {{KKCatMai...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

एहन लोक केँ कि कहबै अहाँ ?

जे दोसराक औँरी पकरि क'
चलैत अछि

सदिखन अपेक्षाक बोझ माथ पर उघने
सिमसल किछु आस
किछु बेदना छाती मे दबओने

डेग बढ़बैत अछि
केखनो गिरैत अछि
उठैत अछि केखनो
केखनो रुकैत अछि
केखनो चलैत अछि

दोसराक औँरी केँ अपन पैर बुझैत अछि!