Last modified on 12 सितम्बर 2018, at 18:43

बनाउ प्रयसी / ककबा करैए प्रेम / निशाकर


गंगा मे डुबू नहि
नहि खाउ माहुर
नहि लगाउ फँसरी
नहि भेटल
प्रेम
आ नहि भेटलीह प्रेयसी
कोनो बात नहि
ओकर स्मृतिएसँ करू
प्रेम
ओकरे बनाउ प्रेयसी
आ प्रेम करू
शीत ग्रीष्म वर्षा
जल थल नभ
पशु पंछी फनिगा
सुरुज चान तारासँ।

ओकरे बनाउ प्रेयसी।