Last modified on 6 सितम्बर 2016, at 07:50

माय मिथिला के पैर में बेरी / नीतीश कर्ण

माय मिथिला के पैर में बेड़ी,गुमनाम मैथिल संस्कार
मंगला सs तs भीख ने भेटत,लईड कs लिय अपन अधिकार
जनक ऋषि के वन्सज के, गरम खून किया पड़ल शिथिल
लेभरायल आँखिक काजरि, उजड़ल - उपटल माँ मैथिल
उपेक्षित जिंदगी बड जिलउँ,आब ने कनिको धीर धरू
बेर आईब गेल फूंकु पाञ्चजन्य,हर-हर महादेव उद्घोष करू
खून बिना आज़ादी कहाँ, आब उठाबू तीर-कमान
कटइ छई तs कईट जाओ गर्दन, बनल रहे पागक सम्मान
आशीर्वाद कोशी गंडक के, देखा दियउ रूप विकराल
माय मिथिला चित्कारि रहल अछि, बहा दियउ शोणित के धार
लिय टेंगारी लाठी भाला, परशुराम के रूप धरू
घोर अन्हरिया राइत बहुत भेल, जागू मैथिल भोर करू