भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

आयल पावनि फगूआ / चन्द्रनाथ मिश्र ‘अमर’

Kavita Kosh से
Lalit Kumar (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 11:15, 12 अगस्त 2014 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=चन्द्रनाथ मिश्र ‘अमर’ |संग्रह= }} {{K...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

आयल पावनि फगूआ,
हम नहि बनबै’ अगुआ,
लगुआ-भगुआ संग रंगमे मनुआँ तीतल रे।
बहि रहल’ अछि पछबा
आयल मास अलछबा
गछबा कऽ धरतीसँ पतझड़ जाड़ो बीतल रे।
गामक करकट कूड़ा,
लऽ कऽ करबै’ धूड़ा,
पूरा कऽ मलि, मैल छोड़ाओत ई जगतीलल रे।
पू-पकमानक ढेरी,
पयबामे की देरी
फेरी दऽ दऽ पूर पसेरी खा जग जीतल रे।
ने दाही, ने जरती,
ने जोतल, ने परती
धरती राग वसन्त - सुरभिसँ शीतल हीतल रे।
मामी लगमे मामा
आइ बनल छथि गामा
वामद दहिना के तकैछ, अपने मे रीतल रे।