भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
आ गे डिहुली, आ गे डिहुली / मैथिली लोकगीत
Kavita Kosh से
Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 19:39, 1 जुलाई 2014 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKLokRachna |भाषा=मैथिली |रचनाकार=अज्ञात |संग्रह=ऋतू ...' के साथ नया पन्ना बनाया)
मैथिली लोकगीत ♦ रचनाकार: अज्ञात
आ गे डिहुली, आ गे डिहुली
सामा जाइ छै ससुरा
किछु गहनो चाही गे डिहुली
आ गे डिहुली, आ गे डिहुली
धऽ ला सोनरबा के
गढ़ाइये देबौ गे डीहुली
सामा जाइ छै ससुरा
किछु पौती चाही गे डीहुली
आ गे डीहुली, आ गे डीहुली
धऽ ला डोमिनियाँ के
बुनबाइये देबौ गे डीहुली
सामा जाइ छै ससुरा
किछु सेनुर चाही गे डीहुली
आ गे डिहुली, आ गे डिहुली
धऽ ला पटतिबनियाँ के
किनिय देबो गे डिहुली
आ गे डिहुली, आ गे डिहुली