भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

कुचक्र / ककबा करैए प्रेम / निशाकर

Kavita Kosh से
Jangveer Singh (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 00:29, 7 सितम्बर 2018 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=ककबा करै...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

अहाँ जीबि रहल छी
सूचना-संसारक विस्फोटक जुगमे
मुदा,
जरूरी नहि अछि
जहाँ जे खबरि सुनने छी
रेडियोसँ
इंटरनेट पर जे पढ़ने छी
आ टेलीविजन पर जे देखने छी
मात्र ओएह साँच होइक
भऽ सकइए
साँच कुचक्र केर शिकार भेल होअय।