भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

पीड़ा सभ केँ दियौ जराय / एस. मनोज

Kavita Kosh से
सशुल्क योगदानकर्ता ५ (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 23:47, 3 अगस्त 2020 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=एस. मनोज |अनुवादक= |संग्रह= }} {{KKCatMaithiliRac...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

जहि पीड़ामे सुबकि रहल छी
हम सभ जन-जन देखू भाय
ओहि पीड़ा क' सभ कियो मिलिकेँ
खोड़ि खाइड़ क' दियौ जराय।

पीड़ा अछि ई निरक्षरता क'
दू आखर क' नहि अछि ज्ञान
जन जन क' आब पढ़ा लिखा क'
एहि कलंक क' दियौ मेटाय

पीड़ा अछि ई बेकारी क'
नून तेल ल' छी फिरिसान
रोजगारक आब सिरजन क' क'
बेकारी क' दियौ भगाय

पीड़ा अछि ई लिंग भेद क'
जन्म सँ पहिने लै अछि प्राण
सृष्टि लेल बेटा-बेटी सम
समतावादी दियौ बनाय

पीड़ा अछि ई जाति धरम क'
राष्ट्रक बनबैत अछि निष्प्राण
जाति धरम उन्मूलन क' क'
नबका दुनिया दियौ बसाय।