भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

भूमिका / ककबा करैए प्रेम / निशाकर

Kavita Kosh से
Jangveer Singh (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 00:36, 7 सितम्बर 2018 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=निशाकर |अनुवादक= |संग्रह=ककबा करै...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

अहाँ लग
धन अछि
बल अछि
संसारक सभ साधन अछि
मुदा,
ककरो
एक टुकड़ी सोहारी
एकटा नवका नूआ
आ एकटा घर देबाक लोभ दऽ
नहि छीनू ओकर धर्म
ओकर गरीबीकें ढाल नहि बनाउ
धर्मांतरण कराइयो कऽ
ओकरासँ अहाँ
ओकर संस्कारकें
उकनि नहि पायब कहियो
जड़िसँ।