भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

हे लव हे कुश / कालीकान्त झा ‘बूच’

Kavita Kosh से
Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 19:09, 30 अप्रैल 2014 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=कालीकान्त झा ‘बूच’ |अनुवादक= |संग...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

काननक गाम
कंदराक कक्ष!
ताहि मे-
तोहर कानब के सुनतह?
हे लव हे कुश
उठह उठह आ -
आदि काव्यक एहि करुण कथा केँ
गाबि-गाबि क' सुनवह
समग्र संसार के...
हे वनवासी,
राजाक अत्याचार पर
जनपदक व्यवहार पर
वीरत्वक सम्मानक लेल
क्षेत्रीय उत्थानक लेल
मैथिलीक त्राण लेल
भरथ- रिपुसूदन लेल
लखन विभीषण सं
वालिपुत्र वानरराज वात जातक बाते की!
भीरि जाह वाह!
वाह त्रिभुवनक तातें सं
"मिथिलाक-भागिन"
भगवानो सं भीरि क'
पबैत छैक भिक्ट्री
कहैत छिय' ह'म नहि-नहि
इंडियन एन्सिएंट हिस्ट्री