भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

शिव शक्ति पूजन / कालीकान्त झा ‘बूच’

Kavita Kosh से
Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 17:21, 2 सितम्बर 2014 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=कालीकान्त झा ‘बूच’ |अनुवादक= |संग...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

उमा संग शंकर केॅ पुजबनि पागल प्रेम मगनमा,
गंगा जल भरि भार चढ़यबनि लेप देवेनि चंदनमा।
आक धतूर बेल पातक संग सजि-सजि सुभग सुमनमा,
दारूण दुर्दिन दीप जरा कऽ दुःखक धूप धुमनमा।
उमा संग...

अक्षत छीटि दूभिसँ झपवनि सुन्नर गोर बदनमा,
नीलकंठ केॅ भोग लगयबनि अमरित कनमा-कनमा।
उमा संग...

श्रद्धा सागरक बीच विश्वासक राखब मेरू मथनमा,
केशर कुमकुम कस्तूरी सँ गमका देबनि भवनमा ।
उमा संग...

छम-छम नाचि नचारी सुनयबनि माँ गौरीक अंगनमा,
आशुतोष तैयो नहि ढ़रता तऽ खसि पड़ब चरणनमा ।
उमा संग...