Last modified on 27 सितम्बर 2020, at 19:17

चिड़ै आ बानर / दिलीप कुमार झा

हम खंजनि
हम बुलबुल
हम चहकब
हम फूदकब
हम नाचब
हमरे सँ खिल-खिल
हमहीं बतासा
आमक गाड़ा
मकइक लाबा
खुओने छथि बाबी
भूल्ली महींसक दूध
पिओने छथि बाबा
भरि-भरि डाबा
करेज हमर पुष्ट
बाँहि हमर कस्सल
गात मजगूत
रोकबेँ जे रस्ता रे बनरा
हाथ गोर तोड़ि क' ,
बना देबौ भूत।