Last modified on 7 सितम्बर 2018, at 00:35

जाल-दू / ककबा करैए प्रेम / निशाकर

अमेरिकी धुन पर
देह डोलबैत अछि
छौंड़ा-छौंड़ी
दखबैत अछि
अपन नंगटपनी।

अफीम-गाँजा-भाँग पीबि कऽ
मातल अछि
लोक
सन्हिआ रहल छैक
ओकर शोणितमे
उपरफाँटू संस्कृति।

स्वदेशीक
मूस सन तिक्ख दाँतसँ
काटल जयतैक भूमण्डलीकरणक जाल
तखने होयत
अपन संस्कृति-रक्षा
आ सभ्यताक विकास।