981 bytes added,
21:26, 22 मई 2016 {{KKGlobal}}
{{KKRachna
|रचनाकार=धीरेन्द्र
|संग्रह=करूणा भरल ई गीत हम्मर / धीरेन्द्र
}}
{{KKCatGeet}}
{{KKCatMaithiliRachna}}
<poem>
कहि रहल अछि मोन हम्मर राति जएते बीति।
प्रत्येक भोरक कोड़मे,
कोनो-ने-कोनो काज
प्रत्येक भोरक ठोरपर,
कोनो-ने-कोनो नाम।
काजकेर एहि बोझ तर
आ नामकेर एहि खोजमे,
जिनगिये जाएत बीति !
बीतैत पलकेर सोच
कहियो भेल अछि की ?
काजक ई लागल ढेर
हमरार रोच कहियो भेल अछि की ?
आबओ कोनो बिहाड़ि जिननी हमर जाएत जीति !
</poem>