भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

"गणतंत्र दि‍वस-२०१३ क अवसर पर / जगदीश प्रसाद मण्डल" के अवतरणों में अंतर

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज
('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार= |अनुवादक= |संग्रह= }} {{KKCatKavita}} {{KKCatMaithiliRachna}...' के साथ नया पन्ना बनाया)
 
 
पंक्ति 1: पंक्ति 1:
 
{{KKGlobal}}
 
{{KKGlobal}}
 
{{KKRachna
 
{{KKRachna
|रचनाकार=
+
|रचनाकार=जगदीश प्रसाद मण्डल
 
|अनुवादक=
 
|अनुवादक=
 
|संग्रह=
 
|संग्रह=

00:48, 4 जून 2014 के समय का अवतरण

 अजादीक उमंग उमकि‍
घाटे-बाट छि‍छि‍या गेलौं।
सत्-समुद्र पहाड़ बीच
पगे-पग बौआ गेलौं।
भाय यौ, घाटे-बाट...।

तल मोड़ि‍ तम पताल
छुबूधि‍ भऽ छुछि‍या गेलौं।
अजादीक उत्‍साह उमंग पाबि‍
दि‍न-राति‍ बौआ गेलौं।
भाय यौ, घाटे-बाट...।

प्रशान्‍त-शान्‍त लाल-कारी
जोर पकड़ि‍ डि‍रि‍या गेलौं।
डि‍रियाइत पताल-अकासमे
डोह डाबर झाड़ कहेलौं।
अजादीक उत्‍साह उमकि‍
घाटे-बाट बौआ गेलौं।
भाय यौ, घाटे-बाट...।

बोन-बोनैया गीत गाबि‍
बनि‍ शि‍कारी वीन बजेलौं।
मोड़ि‍ मनुआ तोड़ि‍ जि‍नगी
दि‍ने-देखार बहकि‍ गेलौं।
बाटे-घाट भोति‍या गेलौं
भाय यौ, घाटे-बाट...।

ठाढ़े-ठाढ़ ठि‍ठु ठि‍ठुरि‍
रौद पाबि‍ लू-लुआ गेलौं।
बनि‍ बरखा बरसाती बनि‍
तरे-ऊपरे दहा गेलौं।
अजादीक उमंग उमकि‍
घाटे-बाट बौआ गेलौं।
भाय यौ, घाटे-बाट...।