भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

"मुक्तक / राजकमल चौधरी" के अवतरणों में अंतर

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज
('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=राजकमल चौधरी |अनुवादक= |संग्रह= }} {{KK...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)
 
(कोई अंतर नहीं)

11:13, 5 अगस्त 2015 के समय का अवतरण

नहुँए-नहुँए पहिने बरसइए मेह
संकोचहिसँ आरम्भित होइए नेह
नहिनेँ त लोक कहइए, मिलैछ हृदयसँ हृदय,
मुदा, क्रमशः नइँ सँभरि पबइए देह

प्रेम एहेन भेल, तोड़ि देलक सभ लाज
कहलउँ-आन कथूसँ हमरा नइँए काज
छोड़ि प्रशस्त राजपथ, अन्हार एकपेड़िया घए चललउँ
मुदा, छेकि लेलक रस्ता सबल समाज

आब सहब नइँ हम ई बताह संसार
बहन हएत नइँ हमरासँ मर्यादा-भार
स्वप्न बनल अछि जे जुग-जुगसँ हमरा अन्तरमे,
इच्छा अछि तकरा आइ करब साकार

आब नइँ पोथी-पतरा वेद-पुरान
बिसरि रहल छी तप-पूजा, जप-ध्यान
उतरि रहल अछि गगनक पथसँ हमर मेनका अप्सरि
हे आत्मा-विश्वामित्र, लिख स्वागत के गान