भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

"तीत लागि गेल / रामदेव भावुक" के अवतरणों में अंतर

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज
('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=रामदेव भावुक |अनुवादक= |संग्रह=रह...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)
 
 
पंक्ति 3: पंक्ति 3:
 
|रचनाकार=रामदेव भावुक
 
|रचनाकार=रामदेव भावुक
 
|अनुवादक=
 
|अनुवादक=
|संग्रह=रहंस के जीभ तरासल छै / रामदेव भावुक
+
|संग्रह=हंस के जीभ तरासल छै / रामदेव भावुक
 
}}
 
}}
 
{{KKCatAngikaRachna}}
 
{{KKCatAngikaRachna}}

02:43, 8 जून 2016 के समय का अवतरण

मगही माधक पान कुम्हलैलौं अहां, कोना शीत लागि गेल
किछु मालूम अहां के नै हमरा पता, कोना प्रीत लागि गेल

उगल सोना सन सोना सुरुज डूबि गेल
छुपल चानी सन चान सोना मोन ऊबि गेल
आसक नैना बिछैलौं नै एलौं अहाँ
टुटल तारा कि हीरा के हार टूटि गेल

हम देखलौं अहाँ के नै हमरा अहां, कोना मीत लागि गेल

शीतल चन्दन सन शीत बहल शीतल बतास
फूल तुलसी तुलसीचौरा के सूखल पलास
प्राण जीवन कि जीवन अहां के बिना
तन के सूना महल मन के अंगना उदास

शहदो सें मीठ सोना कोइली के बोल, कोना तीत लागि गेल

काया कंचन सन दीप प्राण बातौ देलौं
करुण करुणा के तेल ज्ञान जोती देलौं
सोना युग-युग तरसौलां पियासल अहां
बुन्द भरि ने अहां स्नेह-स्वाती देलौं

उर मे विरहा वियोग ने जगैलौं अहां, कोना गीत जागि गेल