"दुर्गा वंदना / कालीकान्त झा ‘बूच’" के अवतरणों में अंतर
Sharda suman (चर्चा | योगदान) ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=कालीकान्त झा ‘बूच’ |अनुवादक= |संग...' के साथ नया पन्ना बनाया) |
(कोई अंतर नहीं)
|
17:23, 2 सितम्बर 2014 के समय का अवतरण
सर्वेश्वगरि दुर्गे, सुवुद्ध दहक सभकेँ तोँ
हरहक सबहक अज्ञान,
माइ हे, तोरेमे सभ भगवान।
पहिने तोँ मेँटि दहक, मोनक विभेद बुद्धि
भऽ जाएत तदुपरान्ते सहजेमे आत्म -शुद्धि
कपट-दंभ-अहंकार-स्वार्थ-दैत्योकेँ सँहारि-
करहक जगक उत्थान..
माइ हे, तोरेमे सभ भगवान।
शिवक तेज आनन, चतुराननसँ चरण भेल
विष्णु बाँहि, सोमस्तन, इन्द्र तेज डांड़ देल
यम-सुकेश, वरूण जाँघ, पृथ्वी नितम्ब भेलि
वसुगणा अंगुलि निर्माण
माइ हे, तोरेमे सभ भगवान।
नासिका धनाधिपसँ, प्रजापतिक दंत स्वेत
अग्निसँ त्रिनेत्र, साँझ भौँह वक्रता समेत
वायुदेव कान देल-एहि तरहेँ प्रगट भेल-
नारि एक सूरूज समान,
माइ हे, तोरेमे सभ भगवान।
हरखित भऽ शंकर निज शूलसँ त्रिशूल देल
विष्णु क सुदर्शनसँ चक्र एक जनमि गेल
धर्मराज दंड, वरूण पाश, प्रजापति देलनि-
स्फमटिक माला महान,
माइ हे, तोरेमे सभ भगवान।
सलिलदेव शंख, काल ढाल-करताल देल
ब्रह्मा कमंडलु, हुत्ताशनसँ शक्ति् लेल
वायु धनुषवाण, सूर्यतेज, इन्द्र कऽ देलनि-
घंटा आ बज्रक प्रदान।
माइ हे, तोरेमे सभ भगवान।
क्षीरोदधिदिव्यष्ट्र , चूड़ामणि, श्वेतहार
कुंडल-केयूर आर नूपुर सङ सभ िसङार
विशकर्मा फरसा, अनेक अश्त्र शस्त्रल एक-
कमल-माल देल अमलांन
माइ हे, तोरे मे सभ भगवान।
नागराज मणि मंडित उरगहार दिव्यत देल
धनपतिसँ पूर्ण मधुक मानपात्र प्राप्तग भेल
हिमवानक देल सिंह वाहनपर शोभित तोँ-
तोरा सनि कत्तऽ के आन?
माइ हे, तोरेमे सभ भगवान।
कऽ रहली, व्योमवीच रहि रहि कऽ अट्टहास
गर्जनाक गुंजनसँ फाटि रहल छै, अकाश
डोलल पहाड़, काँपि उठलै, समुँद्र सकल-
उठि गेलैक भारी तूफान।
माइ हे, तोरे सभ भगवान।
डेगेमे धरती, आ पाँजेमे छह त्रिलोक
सिंहवाहिनी भवानि, हरहक संततिक शोक
जय हे मां दुर्गे तोँ सर्वलोक शक्तिकपूंज,
करहक सबहक समाधान
माइ हे, तोरेमे सभ भगवान।